Wednesday 22 February 2012

किछु ने किछु सदिखन सिखबाक मोन होइए


किछु ने किछु सदिखन सिखबाक मोन होइए




पढ़बाक   मोन   होइए,  लिखबाक  मोन   होइए,
किछु  ने  किछु सदिखन, सिखबाक  मोन होइए ।

अन्हड़ जे  रातिखन  एलै,  सब गाछ  डोलि गेलै,
टिकुला  कतेक  खसलै,  बिछबाक  मोन  होइए ।

सासुर  इनार  होइए     डोल  थिकहुँ  हमहूँ,
किछु ने किछु  एखनहुँ,   झिकबाक मोन होइए ।

अहाँ आबि  जे रहल छी,  सुनिकऽ  बताह  भेलहुँ,
गोबर  सँ  आइ  आङन,  निपबाक  मोन होइए ।

दुइ  ठोर  थीक   अथवा  तिलकोर  केर  तड़ुआ,
होइत अछि लाज लेकिन,  चिखबाक  मोन होइए ।

कोनो  ऑफिसक  चक्कर, लगबऽ  ने पड़ै  ककरो,
ई बीया  विचार क्रान्तिक, छिटबाक मोन होइए ।

आजादीक  लेल   एखनहुँ,  संघर्ष   अछि  जरूरी,
व्यर्थ  गेल  सब माँगब,  छिनबाक  मोन  होइए ।



“विदेह” पाक्षिक इ पत्रिका वर्ष ५, मास ५०, अंक ‍१०० मे छपल ।

जै खातिर मारामारी अछि


जै खातिर मारामारी अछि



जै   खातिर    मारामारी   अछि,
भात – दालि – तरकारी    अछि ।

छात्र     गरीबक    धिया – पुता,
विद्यालय    सरकारी      अछि ।
ई   जे   उल्लू  देखि  रहल  छी,
लक्ष्मी   मैयाक  सबारी   अछि ।
सदाचार   केर   शिक्षा   सबठाँ,
सबठाँ     चोरबजारी    अछि ।
भोज    करत   रसगुल्ला   केर,
बड़का   ई   भ्रष्टाचारी    अछि ।
घूस,    दहेजक   चस्का   बूझू,
छूआछूतक    बीमारी    अछि ।
देश   द्रौपदी,  हम  भीष्म  छी,
हमरहुँ    ई   लाचारी   अछि ।




“विदेह” पाक्षिक इ पत्रिका वर्ष ५, मास ५०, अंक १०० मे छपल ।

गीत कोना कऽ गाबी / मैथिली गीत

                          
गीत कोना क गाबी




एहेन  हाल मे कानि  सकै  छी,  गीत  कोन क गाबी ??




गोली - बारूदक  मौसम मे, हम  कविता  केहेन सुनाबी ?
हाल  देखि  बे-हाल  भेल  छी,  गीत कोना कऽ   गाबी ??



गाम - गाम आ शहर – शहर मे, आतंकक अछि    छाया ।
ठोहि पारि क कानी रहल अछि, गौतम  बुद्धक  काया
शब्द - शब्द सँ  चिनगी उड़इछ,  शब्द - शब्द सँ धधरा ।
अपनहि घर,  हम जड़ा रहल छी,  अपन - अपन बखरा ।

गामक - गाम  जरैए  धह - धह,  ककरा कोना बचाबी ?
एहेन  हाल मे कानि  सकै  छी,  गीत  कोन क गाबी ??



टूटल   सरस्वती   केर,  वीणा  केर     संगीतक  धारा ।
मनुखक छुद्र  स्वार्थ पर कनइत,  अछि विज्ञान बेचारा
पत्रहीन, सभ गाछ  नग्न अछि,  जेम्हरे  देखू      तेम्हर
कत अलोपित भेल  गाम सँ,  बऽड़क गाछ     झमटगर

थाकल - हारल  लोक  सोचैए,  कतऽ   कने   सुस्ताबी ?
एहेन हाल मे  कानि सकै छी,  गीत  कोना क गाबी ??



बेर - बेर    उठबैए   हाबा,      एखनो   वैह   सवाल
बुद्ध – महावीरक   ई   धरती,  एहेन   किये    कंगाल
द्रोण - भीष्म केर चुप्पी आ  धृतराष्ट्रक   कुत्सित  सपना ।
बेर – बेर - दोहरैल जाइत अछि,  लाक्षा-गृह  केर घटना

उचित  यैह  जे  आमक खातीर,  आमक  गाछ लगाबी ।
चलै चलू हम सभ हिल-मिल कऽ,  अपन बिहार  बचाबी ।।






(परिप्रेक्ष्य / सन्दर्भ - ओहि समयक मिथिला सहित सम्पुर्ण बिहारक दुरावस्था)
( रचना : सिवान / २२.०२.१९९२ )




घऽरे केँ मंदिर बनाउ / मैथिली गीत

                            
घऽरेकेँ मंदिर बनाउ





बनाउ   हे  यै कनियाँ,
घऽरे केँ मंदिर बनाउ |

                               

                                 कखनहुँ घर अन्हार रहय नहि
                                 अखण्ड ज्योति, प्रेमक जड़ाउ |



गमकय भरि घर-आँगन गम-गम
बातेँ केर बेली बनाउ |



                                 हो सिनेह मन मे सब जन  ले'
                                 आसक अछिञ्जल चढ़ाउ |



धूप – दीप - नैबेद्य हो करुणा
सेवा केँ पूजा बनाउ |



                               सासु - ससुर छथि देवी - देवता
                                श्रद्धा सँ  माथा झुकाउ |




( प्रकाशित : मिथिलायतन, रायपुर, छत्तीसगढ़ : दिसम्बर २००५ )



एना गे सुगिया कतेक दिन रहबें ?

एना गे सुगिया कतेक दिन रहबें ?



टूइट    जेतै    बन्हन,
तोँ जोर क देखही





नोरे  के  जिनगी,  कतेक दिन उघबेँ ?
एना गे सुगिया  कतेक  दिन  रहबेँ ?



तोहर  वयस    जेना,
कोबर  के   कनियाँ ।
तोरा  ले     एखनहि,
अन्हार भेल दुनियाँ ।

तोँ  अपने कपार पर कतेक दिन झखबेँ ?
एना गे सुगिया  कतेक  दिन  रहबेँ ?



तोरा   ले’  सभ  ठाम,
सभ    बाट  काटल ।
सभ   दृष्टि    काटल,
आ सभ गाछ काटल

ओकरा सँ छाहरि केर, आश कोना  करबेँ ?
एना  गे सुगिया  कतेक  दिन  रहबेँ ?



लोक  तोरा सोझ भ ऽ,
चऽलहु      ने       देतौ ।
जीबऽ      ने      देतौ,
आ   मरहु   ने      देतौ

चालनि मे पानि तोँ कतेक दिन भरबेँ ?
एना गे सुगिया  कतेक  दिन  रहबेँ ?



जिनगी   छै    सभकेँ,
आ जिनगी छौ तोरो
राति  अपन    देखलेँ,
तऽ देख अपन भोरो

बाट कोनो रामक,  कतेक दिन तकबेँ ?
एना गे सुगिया  कतेक  दिन  रहबेँ ?



टूइट    जेतै    बन्हन,
तोँ जोर क देखही
भेटि    जेतौ        संगी,
तोँ सोर कऽ देखही ।

हुकुर-हुकुर जीबेँ, तऽ जीबि क की करबेँ ?
एना गे  सुगिया   कतेक  दिन  रहबेँ ?






(परिप्रेक्ष्य / सन्दर्भ विषय – बाल वैधव्य ओ पुनर्विवाह)  
( प्रकाशित : मिथिला मिहिर / जून ८७ / पहिल पक्ष )




हमर ई गीत आइ सँ २० २५ वर्ष पहिने, महादेव ठाकुरजी द्वारा, nv (new voice) Series, Mumbai (Bombay) सँ हुनिकहि द्वारा गाओल एक गोट मैथिली ऑडियो कैसेटमे निकलल छल । कैसेटक नाँव छल "मैथिली गीत संग्रह" । बाद मे बहुतहु गोटे विभिन्न मैथिली सांस्कृतिक मञ्च सभपर गओलन्हि ।





एकहि मन्त्र जपब जीवन भरि / मैथिली गीत


                         
एकहि मन्त्र जपब जीवन भरि






हम नहि जायब  मास करै ले',  हम नहि  करब   उपास ।
अपनहि मन,  मंदिर बनि पाबय, तकरहि करब प्रयास ।।



नहि  जायब  हम  काबा – काशी,  वा   बृन्दावन धाम ।
हम तऽ  प्रेमक दीप जड़ायब, घुमि-घुमि अपनहि गाम ।।



रामायण,  गुरुग्रण्थ आ गीता,  बाइबिल  आओर  कुरान ।
सभ ग्रण्थ केर  मूल मंत्र थिक,  मानव केर     कल्याण ।।



चाननठोप - पाग आ  डोपटा,  जप-तप-योग-धियान ।
सभ   ध्यान  सऽ  सुन्दर  लागय, देशभक्ति  केर ध्यान ।।



एकहि  माला,   एकहि  पूजा      एकहि  टा  ध्यान ।
एकहि  मन्त्र  जपब  जीवन  भरि, जय-जय हिंदुस्तान ।।





( प्रकाशित : हिंदी पत्रिका "सद्भावना दर्पण", क्षेत्रिय भाषा स्तम्भ - "मैथिली" अन्तर्गत,  रायपुर, तत्कालीन मध्य प्रदेश आ एखनुक छत्तीसगढ़ )



Tuesday 21 February 2012

ई जुनि पूछू


                                               
ई जुनि पूछू






ई  जुनि  पूछू  अहाँ  बिना,
राति  बितैए  हमर  कोना |




किछु बात  मोन पड़ि आबय |
मोनक  पंछी  उड़ि    भागए |
चैनक चिल्हका उठि कानए |
कतबो  कहने  नहि   मानए |
लाख थकनी  रहइछ तैयोऽऽ,
गाढ़ निन्न    नहि  आबयऽऽ |

ई  जुनि  पूछू  अहाँ  बिना,
राति  बितैए  हमर  कोना |




किछु  दर्द  एहेन  सन  होइए |
लिखितो जे लिखल ने   जाइए  |
कहितो  जे  कहल   ने जाइए |
लेकिन  जे  सहल  ने जाइए |
मजबूरी  त  अछि  रहबा ले'ऽऽ,
एसगर   रहल  ने  जाइए,ऽऽ |  

ई  जुनि  पूछू  अहाँ  बिना,
राति  बितैए  हमर  कोना |




अछि आँखिक निन्न बिलायल
लगइछ  किछु  जेना  हेरायल
मन  विकल  भेल  औनायल
नोरे   नयना    भरि   आयल
प्रिये ! अहाँ केर सुधिक लहरि मेऽऽ
जाइत     छी      भसिआयलऽऽ |

ई  जुनि  पूछू  अहाँ  बिना,
राति  बितैए  हमर  कोना |


ई गीत विजय सिंहजी केर अवाज मे “परदेसिया” नामक ऑडियो कैसेट मे नीलम कैसेट सँ बहरायल । यद्यपि एहि मे जे गयबाक भाष प्रयोग भेल अछि से मूल भाष सँ सर्वथा भिन्न अछि तथापि निश्चित रूपेँ एहि गीतक गायन आ संगीत संयोजन मे विजय सिंहजी बहुत मेहनति कएलन्हि अछि । सभसँ नीक बात जे शब्दक उच्चरण ओ वाक्य – विन्यास केँ यथावत रखलन्हि अछि । ओना एहि कैसेट मे ई गीत नवीन संगीत (रैप वा पॉप) सन बुझना पड़ैछ, पर एकर मूल संगीत सत्तरि केर दशक केर हिन्दी फिल्मी संगीत जेकाँ सौम्य व सुगम थिक । दिक्कति इएह जे कागज पर सिर्फ गीत लीखि सकैत छी हम, ओकर संगीत नञि ।


( १९७८ मे प्रकाशित गीत संग्रह 'तोरा अँगना मे' केर गीत क्र. ‍१५ )
संगहि “गीतक फुलवारी” मे सेहो प्रकाशित ।