Thursday 8 March 2018

दिन के दिन बजबोमे छै बड़का झंझट

गजल

दिन के दिन बजबोमे छै बड़का झंझट
और  चुप्प  रहबोमे छै बड़का  झंझट

कहथि पिता भरि राति पानिमे ठाढ़ रहू
एत्ते  दुख  सहबोमे  छै  बड़का झंझट

सबहक तील चाउर खा’ सोचथि नेताजी
पांच  साल  बहबोमे छै बड़का झंझट

ओ पच्छिमकें पूब कहथि अहूँ ‘हं’ कहियौ
संग हुनक चलबोमे छै बड़का झंझट

दान दक्षिणा जप तप दंड-प्रणाम करू
कतहु शिष्य बनबोमे छै बड़का झंझट

सभ चाहै छथि घर बनितै किछु नव ढंगक   
आ पुरना  ढह्बोमे  छै बड़का  झंझट

बहर काफिया और रदीफ मिलान करू
भाइ गजल कहबोमे  छै बड़का झंझट

( मात्रा क्रम :2222 2222 222)
दू टा अलग-अलग लघुकें एक
दीर्घ मानल गेल अछि.       

No comments:

Post a Comment